सामग्री पर जाएँ

यमन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
الجمهورية اليمنية
Al-Jumhūriyyah al-Yamaniyyah
यमन गणराज्य
यमनको झन्डा
झन्डा
यमनको निसाना छाप
निसाना छाप
आदर्श वाक्य: "Allah, al-Watan, at-Thawra, al-Wehda"
"अल्लाह, देश, क्रांति, एकता"
राष्ट्रिय गान: National anthem of Yemen
यमन
राजधानी
र सभसँ पैघ सहर
साना
आधिकारिक भाषासभअरबी
मूलवासी(सभ)यमनी, यमनियत
सरकारगणराज्य
अली अब्दुल सालेह
अबदल-रब मन्सूर अल-हादी
अली मोहम्मद मुजुर
अबुल करीम इस्माइल अल-अरहाबी
स्थापना
• उत्तरी यमन स्वतन्त्रता
१ नवम्बर १९१८
• दक्षिणी यमन स्वतन्त्रता
३० नवम्बर १९६७
२२ मई १९९०
क्षेत्रफल
• कुल
५,२७,९६८ किमी (२,०३,८५० वर्ग माइल) (४९अम)
• पानी (%)
नगण्य
जनसङ्ख्या
• २००८ अनुमानित
२३०१३३७६ (५१अम)
• २००७ जनगणना
२२२३०५३१
कुल ग्राहस्थ उत्पादन (क्रय शक्ति समता)२००८ लगत
• कुल
$५५.४३३ बिलियन (-)
• प्रति व्यक्ति
$२४१२ (-)
कुल ग्राहस्थ उत्पादन (साङ्केतिक)२००८ लगत
• कुल
$२७.१५१ बिलियन
• प्रति व्यक्ति
$1,181 (-)
मानव विकास सूचकाङ्क (2013)Steady 0.500[१]
न्यून · १५४अम
मुद्रायमनी रियाल (YER)
समय क्षेत्रअन्तर्राष्ट्रिय प्रमाणिक समय+३
टेलिफोन कोड९६७
इन्टरनेट डोमेन.ye

यमन (अरबी भाषा: اليَمَن अल-यमन), आधिकारिक रुप सँ यमन गणराज्य (अरबी भाषा: الجمهورية اليمنية अल-जम्हूरिया अल-यमन) मध्यपूर्व एशियाक एक देश छी, जे अरब प्रायद्वीपमे दक्षिण पश्चिममे अवस्थित अछि । २ करोड़ जनसङ्ख्या रहल देश यमनक सीमा उत्तरमे साउदी अरब, पश्चिममे लाल सागर, दक्षिणमे अरब सागरअदनक खाड़ी आ पूर्वमे ओमान सँ मिलैत अछि । यमनक भौगोलिक सीमामे लगभग २०० सँ अधिक द्वीप सेहो अछि, जहिमे सोकोत्रा द्वीप सबसँ पैग अछि ।[२] एकर राजधानी साना छी । अन्य प्रमुख शहर ताइज (Ta'izz), अल - हुदैदाह (al Hudaydah), बैत अल - फकीह (Bayt al Faqih) अछि । अरबी प्रमुख भाषा छी। इस्लाम एहि ठामक धर्म छी। केवल ५% जमीन पर खेती कएल जाइत अछि । उच्च प्रदेश प्रमुख कृषि स्थल छी । शुष्क कृषिमे कफीक स्थान प्राचीन कालसँ प्रमुख रहल अछि । कात क उपज तेजी सं कफी क स्थान पर आबि रहल अछि। फलमे सेब, खुबानी, केला, अनेक प्रकारक अंगूर, नीम, आड़ू, नारंगी तथा अनेक प्रकारक तरबूज बेसी उगाओल जाइत अछि। बादाम आ अन्य काष्ठफल सेहो उगैत अछि। जौ, जई, कम्मा, ज्वार, बाजरा, धान, तिल तथा सोरघम खाद्य धान मे प्रमुख स्थान पर अछि। पठार आ समुद्र तट पर गेहूँ सेहो उगैत अछि। खनिजसभमे नमक आ चूना पत्थरक स्थान प्रमुख अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

यमनक क्राती[सम्पादन करी]

वर्ष १९६२ ई. मे यमनक सुल्तानक मृत्युक बाद २६ सितम्बर, १९६२ ई. मे यमनमे क्रान्ति भेल यमनक क्रान्तिकारी सरकार रुस आ मिस्रक सहयोगसँ यमनमे गणतन्त्रक स्थापना केलक। मुदा शाहजादा हसन सऊदी अरबक जेद्दा प्रान्तमे यमनक निर्वासित सरकारक स्थापना केलक। एहि संघर्ष मे सऊदी अरब आ जॉर्डन हसन आ मिस्त्र क्रान्तिकारी पक्ष मे भाग लेब शुरू केलक। युद्ध दिन - दिन भयंकर होइत गेल, एहि पर सन्धि मार्च, १९६३ ई. मे डा. राल्फ बुंच केँ पठा कऽ यमन मे शान्ति स्थापित करवाक लेल आ दुनु पक्ष केँ एहि बातक लेल तैयार केलक ओ सभ शान्तिपूर्ण उपायक द्वारा समस्या केँ सुलझाओत। अन्तमे संयुक्त राष्ट्र संधि यमनमे शान्ति स्थापित केलक।

जनसङ्ख्या[सम्पादन करी]

भूगोल[सम्पादन करी]

राजनिती[सम्पादन करी]

अर्थतन्त्र[सम्पादन करी]

धर्म[सम्पादन करी]

यमनक क्रान्ति[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

Yemenक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

परिभाषा विकिस्नरीसँ
पाठ्यपुस्तक विकिपुस्तकसँ
उद्घरण विकिउद्रघरणसँ
स्रोत पदसभ विकिस्रोतसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ
समाचार विकिसमाचारसँ
सिखैवाला स्रोतसभ विकिभर्सिटीसँ
  • Yemen Government Official web site सङ्ग्रहित २०२०-१२-१३ वेब्याक मेसिन (आकृति:ISO 639 name ar)
  • Yemen Government official portal (At the Wayback Machine, March 2009) (आकृति:ISO 639 name ar)
  • "यमन"द वर्ल्ड फ्याक्टबुककेन्द्रीय जासुसी निकाय
  • आकृति:GovPubs
  • यमन डियमओजेडमे
  • Yemen profile from the BBC News
  • Yemenक विकिमिडिया एट्लस

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "2014 Human Development Report Summary" (PDF)। संयुक्त राष्ट्र विकास कार्यक्रम। 2014। pp. 21–25। अन्तिम पहुँच 27 जुलाई 2014
  2. McLaughlin, Daniel (1 February 2008) (enमे). Yemen. Bradt Travel Guides. pp. 3. आइएसबिएन 9781841622125. https://books.google.com/books?id=eQvhZaEVzjcC.